अकर या सुक्ष्मगोरखमुण्डी एक पोथ्रा वर्गक एक वनस्पति छी जे १५-२५ सेन्टिमिटर धरि होएत अछि । अकर औषधीय गुण भेल वनस्पति छी । आमने-सामने पता भेल ई वनस्पतिक गोलाकार पियर बीचमे लाल रङ्गक फूल फुलैत अछि । एकर स्वाद कबकब होएत अछि ।[१]
अकरक सेवन सँ फेफ्ड़ाक शक्ति प्रदान करैत अछि, खानामे रुची लबैत अछि । शरीर दर्दमे, खोकी आ पिनासमे सहो अकरके लाभदायक मानल जाएत अछि । उपचारक लेल एकर गाछकें पिस बनल मिश्रण १-२ ग्राम दिनमे ३-५ बेर खाए सकैत अछि ।[१]